Pages

पेज

Thursday, 3 January 2019

मैथिली लघु सिनेमाक बढैत डेग ।

Maithili Short Film "NAMONARAYAN"

समस्या त बहुत अबैत छैक तथापि ठानि लेल काज के क' लेबाक जिद्द के आगू सभ समस्या एक कात भ' जैत अछि आ सृजन कार्य आगू बढैत रहैत अछि। 
वर्ष २०१९ में मधुर मैथिली अपन नव मैथिली लघु फिल्म "नमोंनारायण" के प्रस्तुती करत। 
एही लघु फ़िल्मक घोषणा एक बरख पहिने भेल छल मुदा किछ विशेष कारण वश एकर शूटिंग पूरा नई भ' सकल छल। 
maithili short film नमोंनारायण namonarayan
आब एही लघु फिल्म के शूटिंग कार्य सम्पन्न क' लेल गेल अछि।
एही लघु फिल्म में एक बेर फेर" कवि कल्पना" के बहु चर्चित अभिनेता भाष्कर झा संग टेलीविजन आ बहुतो रास विज्ञापन फिल्म में काज क' चुकल अभिनेता शरत सोनू अहाँ सभक समक्ष हेताह।
संगहि मैथिली सिनेमाक खलनायक हस्ताक्षर "राजीव सिंह" एही सिनेमा में अपन एकटा अलग छवि लय बहुत सशक्त अभिनय के प्रदर्शन करैत नजैर औताह।
आशा करैत छि जे "मधुर मैथिली" के ई नव प्रस्तुती मैथिली लघु सिनेमा के एकटा अलग पटल पर ल क जायत। 
maithili film namonarayan


मैथिली सिनेमाक आगाज़ 
ओना त मैथिली सिनेमा के आगाज़ बहुत पहिने भेल छल मुदा समय के साथ -साथ मैथिली सिनेमा मे भारी गिरावट के कारण मैथिली सिनेमाक विकाश मे कमी आयल छल। किछ साल स मैथिली गीत संगीत आ सिनेमाक विकाशमे भारी मात्रा मे बढ़ोत्तरी भेल अछि। 
अखन मैथिली फिल्म मे नव प्रविधि आ नया संसाधन के प्रयोग भेला सँ मैथिली सिनेमा मे टेवा मिलल अछि। 
ऐ विच मे निर्माण भेल मैथिली  फिल्म " मिथिला मखान ", " कवि कल्पना ", " द सस्पेक्ट " जेहन निक फिल्म सब मैथिली सिनेमा जगत मे एगो नया छबि प्रस्तुत केने अछि। 
आशा अछि भविस्य मे मैथिली सिनेमा मे एहने नब -नब निक फिल्म निर्माण भ मिथिला आ मैथिली कला संस्कृति मे टेवा मिलत। 
फ़िलहाल विकाश झा आ हुनकर समस्त टीम के मैथिलि मैथिली लघु फिल्म "नमोंनारायण" के सफलताक लेल बहुत -बहुत सुभकामना। 

Important Links :

Tags:
Maithili New Short Film NAMONARAYAN
New maithili film namonarayan
maithili new film
maithili film
maithili movie
kavi kalpna
Maithili short movie the suspect
Mollyood
Maithili film industry












No comments:

Post a Comment